दुलहिन पढु अय अनुपम पाठ / मैथिली लोकगीत

दुलहिन पढु अय अनुपम पाठ
तेजु कुमारिक साँकरि बाट
रतिपति रति गुरु आयल द्वार
मनक मनोरथ होयत उधार
मुख बरु झाँपब हृदय उघार
नवल लती सहु तरुवर भार
मन्द हँसब मन्दहि अभिसार
गाँथब दुहु जन प्रीतिक हार
खंजनि मीन मरत सहि लाज
चर्चा होयत करनि समाज
सिंह सुतल चुप साँझहि गेह
सकुचल लाजे केदलि देह
पुनिम होयत नहि-नहि पिक भाष
पंकजकेँ जिउ होयत माख
जखन चलब अहँ जन उजियार
एकटक लागत आँखि पथार
तानल कुसुमक शर रह हाथ
मनसिज खसता उनटल माथ
कुमर कहथि अय होउ ने ओट
कथि लय करब हमर मन छोट

Comments

Popular posts from this blog

लोरी और बालगीत फ़िल्मों से Baby Lori Song Hindi Lyrics

प्रिये हम जाइत छी वनवास / मैथिली लोकगीत

एक बार हम गएन बंबई नौकरी कीन्हा तीन / अवधी