बहिना कोना कऽ कटबै साओन राति अन्हरिया / मैथिली लोकगीत
बहिना कोना कऽ कटबै साओन राति अन्हरिया
पिया छै नोकरिया ना
एक तऽ राति अन्हारि, सूझय आ ने दुआरि
बहिना कोना कऽ सुतबै पिया के पलंगिया
पिया छै नोकरिया ना
सखी सब झुमि-झुमि गाबय गीत, दूर हम्मर मोनक मीत
बहिना बीतल जाई छै काँच उमेरिया
पिया छै नोकरिया ना
Comments
Post a Comment