डर लगैए हे डेराओन लगैए / मैथिली लोकगीत

डर लगैए हे डेराओन लगैए
गौरी हम नहि जायब तोरा अंगना, भयाओन लगैए
हे अजगर के खम्हा पर धामिन के बरेड़िया
गहुमन के कोरो फुफकार मारइए, गौरी हम...
कड़ैत के बत्ती पर सांखड़ के बन्हनमा
बिढ़नी के खोता घनघन करइए, गौरी हम...
सुगबा के पाढ़ि पर ढ़ोरबा के ढोलनमा
पनिया के जीभ हनहन करइए, गौरी हम...
ताहि घरमे बइसल छथि अपने महादेव
बिछुआ के कुण्डल सनसन करइए, गौरी हम...

Comments

Popular posts from this blog

लोरी और बालगीत फ़िल्मों से Baby Lori Song Hindi Lyrics

प्रिये हम जाइत छी वनवास / मैथिली लोकगीत

एक बार हम गएन बंबई नौकरी कीन्हा तीन / अवधी