जखन चलल बर सुन्दर रे / मैथिली लोकगीत

जखन चलल बर सुन्दर रे
मन हर्षित भेल
पाछू सँ चन्द्रबदनि धनि रे
आँगुर धए लेल
केयो सखि छत्र छांह देल रे
केयो बेनिया डोलाय
केओ सखि सिन्दूर आर देल रे
केयो मंगल गाबय
पिया पहिरन पीअर धनी लाल रे
जोड़े गेठबन्हन
गोर लागय चलली देव रे
जहाँ आदिभवानी

Comments

Popular Lyrics / Posts

आ लौट के आजा हनुमान तुम्हे श्री राम बुलाते हैं aa laut ke aaja hanuman tumheshree ram bulate hain

तेरी मुरली की धुन सुनने मैं बरसाने से आयी हूँ

जिस भजन में राम का नाम ना हो jis bhajan me ram ka naam na ho us bhajan ko gana na chahiye