बम-बम भैरो हो भूपाल / मैथिली लोकगीत

बम-बम भैरो हो भूपाल
अपनी नगरिया भोला खेबि लगाबऽ पार
कथी केर नाव-नवेरिया, कथी करूआरि
कोने लाला खेबनहारे, कोन उतारे पार
सोने केर नाव-नवेरिया, रूपे करूआरि
भैरो लाला खेबनहारे, भोला उतारे पार
जँ तोहें भैरो लाला खेबि लगायब पार
मोतीचूर के लडुआ चढ़ायब परसाद
हाथी चलै, घोड़ा चलै, पड़ै निशान
बाबा के कमरथुआ चलै, उठौ घमसान
छोटे-मोटे भैरो लाला हाथीमे गुलेल
शशिधर के दोगे-दोगे रहथि अकेल

Comments

Popular posts from this blog

लोरी और बालगीत फ़िल्मों से Baby Lori Song Hindi Lyrics

प्रिये हम जाइत छी वनवास / मैथिली लोकगीत

एक बार हम गएन बंबई नौकरी कीन्हा तीन / अवधी