हम नहि जानल गे माइ / मैथिली लोकगीत
हम नहि जानल गे माइ
एहन बर नारद जोहि लौता, देखितहि सब पड़ाइ
तीन लोक के मालिक कहि-कहि हमरा देल पतिआइ
अन्तिम पलमे भिखमंगा के लायल बर बनाइ
एकदिस गौरी केर मुह तकै छी, दोसर बूढ़ जमाइ
ई देखिते मनमे होइत अछि, मरितहुँ जहर-विष खाइ
हम नहि जानल गे माइ
Comments
Post a Comment