कथी बिनु गुरमें शरीर ।
पान बिनु मुँहमा मलिन भेलै सेवक
मधु बिनु गुरमै शरीर ।
पनमा जे खेलियै सेवक, मुँहमां रंगेलियै हो,
लड्डू बिनु गुरमै शरीर ।
लडुआ जे देले मलहा हृदय जुड़ाएल,
पाठी बिनु डोलैये शरीर । रो पाठी
कर जोड़ी मिनती करै छी मैया कोसिके
देवौं गे माता पाठी देवौं भोगार ।
वेरिया परले कोसी माय कोई ना गौ गोहारी,
तहुँ न माय होइयो न सहाय,
गौ गरूआ के बेरि ।
गावल सेवक जन दुअ कर जोड़ि
गरू वेर होउ ने सहाय ।
No comments:
Post a Comment