जखन चलल पहु घरमे सजनी गे / मैथिली लोकगीत

जखन चलल पहु घरमे सजनी गे
डरे भेलहुँ बेहोस सजनी गे
तखन घोघ पहु खोलल सजनी गे
आँखिक काजर दहायल सजनी गे
धीरे-धीरे पहु मोर पुछलनि सजनी गे
कते थिक अहाँक उमेर सजनी गे
तखन हम किछु बाजल सजनी गे
हम थिकौं सोलह बएस सजनी गे
पहु मोर कोर कए लेलनि सजनी गे
तखनहि मेटल मोर डर सजनी गे
भनहि विद्यापति गाओल सजनी गे
पुरुषक एहने संयोग सजनी गे

Comments

Popular Lyrics / Posts

आ लौट के आजा हनुमान तुम्हे श्री राम बुलाते हैं aa laut ke aaja hanuman tumheshree ram bulate hain

तेरी मुरली की धुन सुनने मैं बरसाने से आयी हूँ

जिस भजन में राम का नाम ना हो jis bhajan me ram ka naam na ho us bhajan ko gana na chahiye