जगदम्बा हे लीअ ने खबरिया हमार / मैथिली लोकगीत

जगदम्बा हे लीअ ने खबरिया हमार
जखन जगदम्बा मइया घरसौं बहार भेली
जगदम्बा हे कोढ़िया काया लय ठाढ़
जगदम्बा हे लीअ ने खबरिया हमार
जखन जगदम्बा मइया आंगन सौं बहार भेली
जगदम्बा हे अन्हरा नयना लय ठाढ़
जगदम्बा हे लीअ ने खबरिया हमार
जखन जगदम्बा मइया दरबज्जा सौं बहार भेली
जगदम्बा हे बाँझिन पुत्र लय ठाढ़
जगदम्बा हे लिअ ने खबरिया हमार
जखन जगदम्बा मइया गाम सऽ बहार भेली
जगदम्बा हे निर्धन धन लय ठाढ़
जगदम्बा हे लीअ ने खबरिया हमार

Comments

Popular posts from this blog

लोरी और बालगीत फ़िल्मों से Baby Lori Song Hindi Lyrics

प्रिये हम जाइत छी वनवास / मैथिली लोकगीत

एक बार हम गएन बंबई नौकरी कीन्हा तीन / अवधी