घूमे राम-लखन दुनू भइया / मैथिली लोकगीत

घूमे राम-लखन दुनू भइया, नदी के तीरे-तीरे ना
किनका बिनु रे सून अयोध्या, किनका बिनु चौपाया
किनका ले, रे मोरा सून रसोइया, आब के भेजन बनाइ
राम बिनु मोरा सून अयोध्या, लछुमन बिनु चौपाया
सीता लए मोरा सून रसोइया, के देत भोजन बनाइ
नदी के तीरे-तीरे ना
कओन गाछ तर आसन वासन, कओन गाछ तर डेरा
कओन गाछ तर भीजैत हेता, राम-लखन दुनू भइया
नदी के तीरे-तीरे ना
चानन गाछ तर आसन वासन, चम्पा गाछ तर डेरा
अशोक गाछ तर भीजैत हेता, राम-लखन दुनू भइया
नदी के तीरे-तीरे ना
अन्य मैथिली लोकगीत

Comments

Popular posts from this blog

लोरी और बालगीत फ़िल्मों से Baby Lori Song Hindi Lyrics

प्रिये हम जाइत छी वनवास / मैथिली लोकगीत

एक बार हम गएन बंबई नौकरी कीन्हा तीन / अवधी