छोटी-मोटी दहक तट पर निमुआ के गाछ / मैथिली लोकगीत

छोटी-मोटी दहक तट पर निमुआ के गाछ
राम, ताहि तर पाँचो बहिनि झिहरी खेलाय
झिहरी खेलाइते विषहरिके टूटल ग्रीमहार
राम, कनैत खीजै विषहरि आमा आंगा ठाढ़ि
जुनि कानू जुनि खीजू विषहरि दाइ
राम, अहू सऽ उत्तम गंथबा देब ग्रीमहार
पहिरि ओढ़िये विषहरि गहबर भेली ठाढ़ि
राम, सूर्यक ज्योति मलिन केने जाय
भनहि विद्यापति सुनू विषहरि माय
राम, सभ दिन सभ ठाम रहब सहाय
अन्य मैथिली लोकगीत

Comments

Popular Lyrics / Posts

आ लौट के आजा हनुमान तुम्हे श्री राम बुलाते हैं aa laut ke aaja hanuman tumheshree ram bulate hain

तेरी मुरली की धुन सुनने मैं बरसाने से आयी हूँ

जिस भजन में राम का नाम ना हो jis bhajan me ram ka naam na ho us bhajan ko gana na chahiye