अहाँ के सोभे माँ हे सुन्दर मुकुट / मैथिली लोकगीत
अहाँ के सोभे माँ हे सुंदर मुकुट
छनन छनन बाजे माँ के पैरों के नूपुर
(लाले लाले अंचरिया खन खन कंगना
चमचम चमके हे माँ अहाँ के रे गहना)-2
घनन घनन बाजे मैया चुनरी के घुंघुर
छनन छनन बाजे माँ के पैरों के नूपुर
(घट घट खप्पर वाली सोनित पीबई छी
नास असुर के दुष्टक हवन करई छी) -2
तामस के मारल मईया लगई चूरमचूर
छनन छनन बाजे माँ के पैरों के नूपुर
(शेर सवारी शेरावाली कहबई छी
दस भूजा वाली सबहक कष्ट हरईछी) -2
तीन नयन से अहाँ ताकईछी टुकुर
छनन छनन बाजे माँ के पैरों के नूपुर
अन्य मैथिली लोकगीत
हम ने जीअब बिनु राम हे जननी, हम ने जीअब बिनु राम / मैथिली लोकगीत
नया शहर कलकत्ता हो राजा, जहाँ बिराजे महाकाली / मैथिली लोकगीत
गे माई हम नहि शिव सँ गौरी बिआहब, मोर गौरी रहती कुमारी / मैथिली लोकगीत
दुर-दुर छीया ए छीया, एहन बौराहा बर संग जयती कोना धीया / मैथिली लोकगीत
ना जायब, ना जायब, ना जायब हे सखि गौरी अंगनमा / मैथिली लोकगीत
Comments
Post a Comment