पांच बहिनियाँ हे मइया पांचो उतफाल / मैथिली लोकगीत

पांच बहिनियाँ हे मइया पांचो उतफाल
छोटी रानी विषहरि कनूनियां आंगन ठाढ़ि
लाबा दे रे कनूनियां भैया, पूजब ब्रजनाग
पांच बहिनियां हे मइया, पांचो उतफाल
छोटी रानी विषहरि गोअरबा आंगन ठाढ़ि
दूध दे रे गोअरबा भैया, पूजब ब्रजनाग
पांच बहिनियाँ हे मइया पांचो उतफाल
(एहिना तेलिया सँ तेल, कुम्हरासँ दीप आ पटबासँ पाट-सूत डोरी माँगब)
अन्य मैथिली लोकगीत

Comments

Popular posts from this blog

लोरी और बालगीत फ़िल्मों से Baby Lori Song Hindi Lyrics

प्रिये हम जाइत छी वनवास / मैथिली लोकगीत

एक बार हम गएन बंबई नौकरी कीन्हा तीन / अवधी