पीअर आँचर विषहरि / मैथिली लोकगीत

पीअर आँचर विषहरि, थकरल केश
राम, सेवक दुख सुनय विषहरि लेल परवेश
किये लय पूजू मइया, किये चढ़ाएब
राम, किये लए करब मइया तोहरो शृंगार
दूध लऽ पूजब मइया, लाबा चढ़ाएब
राम, अड़हुल फूल लय करब शृंगार
फल मध्य गुअबा, नैवेद्य मध्य पान
राम, देवी मध्य विषहरि, दोसर ने आन
अन्य मैथिली लोकगीत

Comments

Popular posts from this blog

लोरी और बालगीत फ़िल्मों से Baby Lori Song Hindi Lyrics

प्रिये हम जाइत छी वनवास / मैथिली लोकगीत

एक बार हम गएन बंबई नौकरी कीन्हा तीन / अवधी