छोटी-मोटी जमुना-दहमे / मैथिली लोकगीत

छोटी-मोटी जमुना-दहमे, छोटी नील गाछ
राम, ताहि तर विषहरि खेलू जुआसारि
जुअबा खेलइते विषहरि भेली बेसूधि
राम, ताहि खन काग उड़ि हार लय गेल
कनइते-खीजइते विषहरि धयल पछोर
राम, जहाँ धय बैसबह, दागब तोर ठोर
बाटहि भेटि गेला महादेव बाप
राम, कहाँ तोर आसन-वासन, कहाँ स्थान
किनकर बेटी तोहेँ, किये थिक नाम
जमुना-दह आसन-वासन, नीमतर चउपाड़ि
राम, गौरी दाइ के बेटी हम, विषहरि नाम
अन्य मैथिली लोकगीत

Comments

Popular Lyrics / Posts

आ लौट के आजा हनुमान तुम्हे श्री राम बुलाते हैं aa laut ke aaja hanuman tumheshree ram bulate hain

तेरी मुरली की धुन सुनने मैं बरसाने से आयी हूँ

जिस भजन में राम का नाम ना हो jis bhajan me ram ka naam na ho us bhajan ko gana na chahiye