छोटी-मोटी जमुना-दहमे / मैथिली लोकगीत

छोटी-मोटी जमुना-दहमे, छोटी नील गाछ
राम, ताहि तर विषहरि खेलू जुआसारि
जुअबा खेलइते विषहरि भेली बेसूधि
राम, ताहि खन काग उड़ि हार लय गेल
कनइते-खीजइते विषहरि धयल पछोर
राम, जहाँ धय बैसबह, दागब तोर ठोर
बाटहि भेटि गेला महादेव बाप
राम, कहाँ तोर आसन-वासन, कहाँ स्थान
किनकर बेटी तोहेँ, किये थिक नाम
जमुना-दह आसन-वासन, नीमतर चउपाड़ि
राम, गौरी दाइ के बेटी हम, विषहरि नाम
अन्य मैथिली लोकगीत

Comments

Popular posts from this blog

लोरी और बालगीत फ़िल्मों से Baby Lori Song Hindi Lyrics

प्रिये हम जाइत छी वनवास / मैथिली लोकगीत

एक बार हम गएन बंबई नौकरी कीन्हा तीन / अवधी